पृष्ठ

पेन-ड्राइव में पृथ्वी: अजित आजाद: लोकार्पण क अवसर पर दूबि-धान

अजित आजाद पेन ड्राइव मे पृथ्वी :
लोकार्पणक अवसर पर दुबि-धान
-प्रफुल्ल कोलख्यान
कवि आ कविताकेँ भिन्न-भिन्न बुझबाक चाही। कविक आकांक्षा आ कविताक आकांक्षा नहि खाली भिन्न होइत छै, परस्पर संघाती सेहो होइत छैक। एहि समयमे कवि आ कविताक आकांक्षा भयावह संघातमे अछि। अजुकाक कार्यक्रममे एहि भयावह संघात पर गप केनाइ कार्यक्रम क आकांक्षाक संघातमे शामिल भेनाइ स कम नहि, ताञ एहि पर फेर कखनो। तखन कविताक आकांक्षाक किछुओ संकेत नहि केनाइ कविता पर चर्चाक एहि अवसरकेँ होहकार दिश ल जा सकैत अछि। आब, संकेत त संकेते होइत छै। खैर।
कविता क बहुत रास आकांक्षा होइत छै। ई आकांक्षा सब समय एक रंग-रूप मे नै रहैत छै। जेना जीवन बदलैत रहै छै तहिना ई आकांक्षा सेहो अपन रंग-रूप बदलैत रहै छै, जे सौभाविक। त की कविता क कोनो सार्वकालिक आकांक्षा नै होइत छैक! होइत छै। एक टा मूल आकांक्षा होइत छै। एहि मूल आकांक्षा क परिप्रेक्ष्य मे कविता क अन्य आकांक्षा अपन रुपाकार लैत रहैत छै। ई मूल आकांक्षा की होइत छै! की सब कवि क कविता मे ई मूल आकांक्षा एकहि रंग-रूप मे अनिवार्यतः होइत छै! नै। सब कवि स्वतंत्रतापूर्वक एहि मूल आकांक्षा के अपना तरहे थिर करैत छैथ, दुर्निवार स्थितिमे बदैलतो रहैत छैथ। जाबे तक कविता लिखनहार क भेट व परिचय अपन कविता क मूल आकांक्षा स नै होइत छैन,ताबे धरि ओ कवित त लिखैत रहैत छैथ मुदा ओ कवि क तरजा आ हौसला के नै गहिया पबैत छैथ, खाहे ततखनात कतेको नीक आ भावविमुगद्ध कविता लिखबा मे सफल किएक ने भ जाइथ। वचन प्रवीण भेनाइ आ कवि भेनाइ भिन्न-भिन्न गप छै। से ज नहि होइतै त तुलसीदास किएक लिखितैथ जे,
‘राम भगति भूषित जियँ जानी। सुनिहहिं सुजन सराहि सुबानी॥
कबि न होउँ नहिं बचन प्रबीनू। सकल कला सब बिद्या हीनू॥’
किएक लिखितथिन जे हम कवि नहि छी, नहि वचन प्रवीण छी, सब कला आ विद्या स हीन छी! तैयो अहाँकेँ हमर सराहना लोक करैत अछि त बस एहि द्वारे जे हमर उक्ति राम भक्ति स समृद्ध अछि। अर्थात, संक्षेपमे ई जे कविताकेँ स्वीकार आ सराहक लेल कविताक आकांक्षा स जुड़ाव पहिल शर्त्त होइत छैक। कविताक  बहुत रास गुण होइत छैक। तुलसीदासक शब्द मे कही त,
‘आखर अरथ अलंकृति नाना। छंद प्रबंध अनेक बिधाना॥
भाव भेद रस भेद अपारा। कबित दोष गुन बिबिध प्रकारा॥’
नाना प्रकारक अर्थ, अलंकार, अनेक प्रकारक छंद रचना, भाव आ रस आदिस कवितामे तरह-तरहक गुण-दोष होइत छै। एहि दोष शब्द पर ध्यान दिऔ। अकारण नहि जे मैथिली समाज मे छंद क संगे एकटा आर शब्द क वेबहार होइत छै, जेना चाहक संगे ताह! छंदक संगे बेबहार होबवाला ओ शब्द थिक छल! सुच्चा कविकेँ पहिने ई स्वीकर क लेबाक चाही जे औ बाबू हमरा कवित्त विवेक नहि अछि। तुलसीदासक शब्दे कहि’त
‘कबित बिबेक एक नहिं मोरें। सत्य कहउँ लिखि कागद कोरें॥’
सुच्चा कविकेँ अपन कविताक मूल आकांक्षाकेँ सबस पहिने चिन्ब पड़ैत छै। अपन निजी आकांक्षा स कवित क आकांक्षा ज संघाती मुद्रामे उपस्थित होइत ओकरा कविताक आकांक्षा संग ठाढ़ हुअ पड़ैत छै। आ से अपनाकेँ कवि नहि मानल जेबाक जोखिमक शर्त्त पर ठाढ़ होब पड़ैत छै।
अजित आजाद एहि  शर्त्तकेँ अपना ढंगस बुझैत छैथ। ओ बुझैत छैथ जे ‘गप बनायब, गप्पी होएब थिक, कवि होएब नहि।’ एकर कारण की! एकर कारण ई जे कवि क एक कविता हुनकर दोसर कविता क प्रसंगे अधिक आधिकारिक तौर पर अपन अस्तित्व क अर्थ पबैत अछि। से अर्थ पबैत छैथ कविताक मूल आकांक्षाक सातत्य मे। ई मूल आकांक्षा मालाक सूत जकाँ कवि क कविता के काव्य शृँखला मे जनमैत रह देबाक अवसर दैत छै।
आधुनिक, उत्तरआधुनिक वा पराधुनिककालमे कविता क मूल आकांक्षा प्रथमतः आ अंततः ओकर विचारधारा मे प्रगट होइत छै। कविताक संभवाना त भावधारामे सन्निहित रहैत छै, मुदा कविता क ई संभवाना अपन सार्थकता क संतोख त विचारधारा स जोग-लगन में पबैत अछि। संकेत मात्र स काज चलि जाएत जे दुनिया विचार संदर्भे जाहि पिच्छर जमीन पर पहुँचाओल गेल अछि ओहि मे मुख्य विवादक कारण विचार नै धारा छै। बहुतोक लेखे विचार आ विचारधारा मे कोनो अंतर नै। एहि बात पर ध्यान रखनाइ जरूरी जे सदखनि त नै, मुदा अधिकाँशतः भाव अपना केँ विचार क पोशाक मे उपस्थित करैत अछि। धारा ओहि पोशाक केँ छिन्न-भिन्न क भावक अनित्यता वा क्षणभंगुरताक पोल खोलि दैत अछि। ताञ, विचार स ततेक परहेज नै, विचारधारा स परहेज। प्रसंगे कही त आइ काल्हि त कोनो प्रसंग पर विचार पुछनिहार कतेको भेट जेताह, मुदा विचारधारा पुछनिहार शायदे संयोगे।
त! की होइत छै विचारधारा? संसार मे विचारधारा बहुतो रास छैक, असल मे ओकरा उपविचारधारा कहनाइ अधिक उचित। दू टा मूल विचार छै। वस्तुवादी आ भाववादी। अर्थात, वस्तु स भाव क जन्म होइत छै अथवा भाव स वस्तु क?  एत एहि पर वेसी विवेचनक गुंजाइस नहि। तथकन ई कहब जे रोटी आ राम एक दोसरक विकल्प नहि भ सकैत अछि। निवेदन ई जे रोटियोकेँ कने वृहत्तर अर्थ मे लेल जाए आ रामकेँ सेहो वृहत्तर अर्थ मे लेल जाए। कने दृढ़तापूर्वक ई कहब जरूरी जे रामसँ बैर नहि मुदा, अजित आजादक कविता का मूल आकाँक्षा प्रथमतः आ अंततः रोटी छैन। जेना राम एकटा सुंदर भाव तहिना रोटी एकटा जरूरी विचार।
भगवान कहलखिन त कहलखिन! आइ काल्हि त सब शक्ति-स्रोत स जुड़ल लोक सब त सब अबल-निबलकेँ इएह कहै छै ने जे भगवान कहलखिन्ह,
‘सर्वधर्मान्परित्यज्य मामेकं शरणं व्रज।
अहं त्वा सर्वपापेभ्यो मोक्षयिष्यामि मा शुचः।।’
सब धर्मक परित्याग करैत हमर शरण में आउ? हम अहाँकेँ सब पाप स मुक्त क देब। चिंता जुनि करी। शक्ति-स्रोत स जुड़ल लोक सब अपनाकेँ भगवान स कम की बुझैत छैथ! मनुखक क शरण मे मनुखकेँ जेबाक बाध्यता स बचेबाक संघर्षोकेँ सभ्यताक मूल संघर्ष के रूपमे चिन्हबाक चाही। चिन्हबाक चाही एहि संघर्ष केँ। सभ्यताक प्रांगण मे अनवरत चलि रहल एहि रण केँ। एहि रणकेँ ज नहि चिन्हि सकै त चारण होइ मे कतेक देरी! विकल्प कोनो नहि, रण  चारण!  अजित आजाद एहि संघर्षकेँ नीक जकाँ बुझैत, भने रेखांकित करैत छैथ, ‘वर्त्तमान मे कविताक नाम पर दू टा प्रवृत्ति मुख्य रहि गेल अछि – रण अथवा चारण। हम अपनाकेँ पहिल कोटि मे रखैत छी।’ ओ अपन पक्ष आ प्रवृत्तिकेँ बिछ लैत छैथ, बिछि छैथ अपन विकल्प। हुनकर कविताक मर्म के बुझबा लेल एहि विकल्पक महत्त्व आ एहि स्वीकारक मर्मकेँ बुझ पड़त! ओ अपन कवितामे एहि विकल्पक चयनक संदर्भमे विचार’क महत्त्वकेँ बुझैत छैथ आ समयक आँचर मे लागल अहगराहीक आँच काटिक कविताक मनोरम जगत दिश नहि बढ़ चाहैत छैथ। ताञ ओ कहि सकैत छैथ जे, ‘कवितामे ‘विचार’ एकटा विचारणीय (जरूरी) पक्ष थिक। किछु गोटे विचारकेँ कविता पर ‘भार’ (अनावश्यक लदनी) जकाँ बुझैत छथि आ एहिसँ अपनाकेँ कतियौने रहैत छथि।’
कतेक चाही? हम पूछै छी अपना के, अहाँ पूछू अपना के। अजित आजाद पुछलैन अपना के! ‘बेसी किछु नहि’ कविताकेँ देखल जाए-- ‘नहि, एतेक प्रशंसा नहि/ नहि, एतेक निंदो नहि/ / नहि, एतेक भूख नहि/ नहि, एतेक तृप्तियो नहि/ / एतेक आकुलता, एतेक निश्चिन्ति सेहो नहि किन्नहुँ/ / नहि, किछु नहि एतेक/ जतबे जीवन, ततबे किछु/ जीवनक अनुपातसँ बेसी किछु नहि/ अपन दुनू हाथसँ बेसी किछु नहि।’ ताइं, ‘अपेक्षा’ ‘साँस भरि/ श्रम// श्रम भरि/ आराम// आराम भरि/ निन्न// निन्न भरि/ अन्हार// इजोत भरि/ जीवन// जीवन भरि/ सुख// दुख ओतबे भरि/ जतबे भरि मोन रहय ई सभ।’
विडंबना ई जे आजादी क संग गठित नव भारत-राष्ट्र मे हमर सभक भाषा चिर स्थगन मे समा गेल। भाषा किछु शब्द आ वाक्य-विन्यास नहि होइत छै। भाषा सभ्यताक एकटा अध्याय होइत छै। जे भाषा संस्कृत सनक समृद्ध आ शक्तिशाली भाषा स भिन्न भ ओकर चुनौतीक मुकाबिला करैत जीबैत आ स्वयं-समृद्ध होइत चलि आयल ओ झाजाद भारत-राष्ट्र मे स्थगन आ कुपोषणक शिकार भ गेल! ओकरा जीवन व्यवहार स बाहिर क देबाक सबटा ब्यौंत भ गेल! जीवन व्यवहार स भाषाकेँ बाहिर केनाइक मतलब एकटा जीबैत समाज आ सामाजिकता केँ बहिष्कृत क देनाइ स कम की? ‘पितरकेँ अर्घ्य नहि/ भाषा चाहियनि/’ पितर के? पितर जिनका लेल बँसवारि एकटा कामना छलैन विचार छलैन वंश-वृद्धिक! गवाही अजित आजादक कविता, ‘कोहबरमे कोपड़ायल बाँसक/ चित्र बनबैत काल/ विधकरीक मोनमे अवश्ये हेतनि आयल/ वंश-वृद्धिक मंगल-विचार/ एकटा कामना थिक बँसबारि/ से बुझबामे भांगठ नहि अछि आइ’। पितर के? पितर जे आजाद भारत-राष्ट्र क स्वप्न देखलैन, जे ओहि सपना लेल रण केलैन! ज पितर केँ ठीक स चिन्हियैन त सते वाकहरणक शिकार भेल पितरकेँ अर्घ्य नहि, भाषा चाहियनि। मिथिलांचल दू राष्ट्रमे बँटि गेल! ओहू स बेसी दुखद आ कष्टकर ई जे मैथीली जातीयताक बोध नहि विकसित भ सकल ओहि फर फेर कहियो।
कवि अपन समय आ समाजक सौंदर्यबोध आ आनंद संदर्भकेँ बुझैत बदलैत रहैथ छथि। कवि स्वानुभूतिकेँ अनकर तदानुभूति मे बदलैत ‘आनंद’ आ ‘मजा’ क छूटल वा ओझल क्षितिजक ईशारा करैत रहैत छै। बोध करबैत रहैत छै जे, बहुत कुछ पाबि गेलाक बादो एहि जीवनमे कते किछु स्पृहणीय छूटल रहि जाइत छै! सबूत!  ‘यात्रा’ कविता! ‘दलिसगा संग/ उसना भदइक भात आ अल्लुक सन्ना/ खयने छी की अहाँ/ खेतक आड़िपर बैसिक’/ मरुआ रोटीक संग नून-तेल-मिरचाइ/ आ कि कोनो मेला मे गमछा पसारिक’ मुरही-लाइ/ खयने छी अहाँ/ / हम खयने छी’।
की हम सब सते पनिमरू भ गेल छी! नहि कोना! नहि ई त ई बाल किएक जे, ‘बिसलरी पिबैत जल-मन्त्री/ बोतलक पेनीमे छोड़ अइँठ पानि/ आस्वासनक मुद्रामे उछालि दैत छथि/ बोतलक ठेपी खोलैत जनता/ तृप्त-तृप्त होइत/ बिदा भ’ इत अछि धरिया बन्हैत’। एक समय उनिभू (उदारीकरण-निजीकरण-भूमंडलीकरण) क शुरुआती दौरमे ट्रिकिल डाउन क आर्थिकीक बड्ड चर्च-बर्च रहै। ट्रिकिल डाउन क आर्थिकीक आइ कोनो तेहेन चर्च-बर्च त नहि, मुदा हाल त उएह!
तखनि, ई कखनो संभव नहि जे कोनो कविक सब कविता समान रूपेँ महत्त्वपूर्ण आ स्वीकार्य हो। प्रकृत कवि आ उपकृत कविक फर्क पर फेर खनो, अखैनत ई कह चाहै छी, जेना प्रकृति मे उपलब्ध बहुत रास उपादान हमरा पहुँच आ अवगैत स बाहर रहि जाइत अछि. तहिना प्रकृत कविक बहुत रास कविताकेँ बुझाबाक चाही। ‘शारदा सिन्हा’ बहुत महत्त्वपूर्ण आ प्रभविष्णु कविता बनैत-बनैत अंत मे कविक अपन भावातिरेक मे अपरतिभ समाहारक शिकार भ जाइत छैक। कविता मे कवि हुसि कत जाइत अछि एहि दृष्टि-बोधक लेल एहि कविताकेँ बेर-बेर पढ़बाक चाही।
कहब, अनावश्यक जे हमरा साहित्य आ कविताक प्रगाढ़ बोध नहि। मैथिलीमे त एकदमे नहि। एक टा पाठकक रूपेँ जे बुझमे आएल से कहलौँ। एकरा बस लोकार्पणक अवसर पर बस दुबि-धान बूझि। कहबाक मौका दौलौं, आभार।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें